फेर १,८०१ गोटेमे कोरोना संक्रमण भेल पुष्टि, २३ गोटेके मृत्यु - Maithili Khabar

Maithili Khabar

Maithili News, Maithili Language

Sunday, July 18, 2021

फेर १,८०१ गोटेमे कोरोना संक्रमण भेल पुष्टि, २३ गोटेके मृत्यु


 

नेपालमे रैबदीन थप १ हजार ८ सय १ गोटेमे कोरोना पुष्टि भेल अछि । 


देशभरि कएलगेल ६ हजार ६ सय २८ पिसिआर परिक्षणक क्रममे १ हजार २ सय २३ आ ३ हजार एन्टीजेन परिक्षणक क्रममे ५७८ गोटेमे कोरोना पुष्टि भेल अछि । एहि संगे नेपालमे कोरोना संक्रमितक संख्या


७ लाख १६ हजार ४९ पहुचल अछि । तहीना कोरोनाक कारण थप २३ गोटेक मृत्यु भेल अछि । हालधरि नेपालमे कोरोनाक कारण ९ हजार ५ सय ५० गोटेके मृत्यु भेल अछि । तहीना थप १ हजार ६ सय ६७ संक्रमित निक भेलासँ हालधरि नेपालमे ६ लाख ३२ हजार७४ गोटे कोरोना संक्रमणके जितने अछि । हाल २५ हजार ४८५ सक्रिय संक्रमित आइशोलेशन आ ३४० गोटे क्वारेन्टाइनमे छकि ।  नेपालमे हालधरि ३४ लाख ६९उन्हतर हजार ६८५ टा पिसिआर आ २ लाख ६२ हजार ८३१ टा एन्टीजेन परिक्षण भेल मन्त्रालय जनाओने अछि । 

No comments:

Post a Comment

Pages