जनकपुर जयनगर रेल्वे ट्रयाकके कएलगेल स्पिड टेस्ट - Maithili Khabar

Maithili Khabar

Maithili News, Maithili Language

Sunday, July 18, 2021

जनकपुर जयनगर रेल्वे ट्रयाकके कएलगेल स्पिड टेस्ट

 भारतके जयनगर–जनकपुरधाम (कुर्था) रेल्वे ट्रयाकके स्पिड परीक्षण आ सर्टिफिकेसन करबाक कार्य सम्पन्न कएलगेल अछि । 

रैबदीन भिन्सर जयनगरसँ आएल भारतीय रेल्वे जनकपुरधामके कुर्था स्थित मुख्य स्टेशनधरि स्पिड परीक्षण आ सर्टिफिकेसन करबाक कार्य केल्क अछि । रैबदीन भिन्सर भारतीय कोकर्ण कम्पनीक प्रतिनिधी तथा नेपालक महाप्रवन्धक गुरु भटराई संयुक्तरुपमे निरिक्षण पश्चात जनकपुरधामके कुर्था रेल्वे स्टेशनमे पुजा समेत केने छल । स्पिड परिक्षण सम्वन्धि जानकारि दैत रेल्वेक महाप्रवन्धक भटराई भारतीय डव्लु डि एम थ्रीडी नामके इन्जिन तथा दु टा मालवाहक डव्वा सहित आएल ट्रेन आबबेरमे ६० प्रतिकिलोमीटरके स्पिडमे आएल आ घुरबेरमे १२० के स्पिडमे घुरल वताओलन्हि । ओ स्पिड चेकके क्रममे भारतीय रेल्वेक ड्राइभरके नेपालक रेल्वे टे«क सम्वन्धि ज्ञात नहि भेलाक कारण आबबेरमे ६० क स्पिडमे आनलगेल आ जाएबेरमे १२० के स्पिडमे लगेल बताओलन्हि । ओ लिकसबके समय समयमे मरमम्त तथा पुलसभक सेहो सब काज भचुकलासँ समस्या नहि रहल वताओलन्हि ।

एम्हर सरकार बेर बेर नेपालमे रेल चल्त कैह क मिति किटान कएलाकबादो रेल्वे चल नहि सकल अछि । एहि सम्वन्धमे महाप्रवन्धक भटराइ रेल नहि चल्बमे राजनीतिक खिचातानी महत्वपुर्ण कारण रहल वताओलन्हि । तोकलगेल मितिमे रेल चलाव हेतु सम्पुर्ण तयारीसब कएलगेलाकबादो सरकार परिवर्तन भेलाक कारण रोकलगेल वताओलन्हि । वैशाख सँ तालिमके काज सुरु कएलगेलाकबादो कोरोना भाइरसके कारण किछ दिन रोकलगेल आ अखार मसान्तधरिमे रेल्वे संचालन कएलजाएत लक्ष्यक सगं सम्पुर्ण तयारी कएलगेलाकबादो सरकार परिवर्तन भेलासँ रेल नहि चल्ल वताओलन्हि । आब चलाव लेल सरकार पुर्णरुपमे गठन भेलाकबाद मन्त्रीस्तरिय विमर्श पश्चात मात्र रेल्वे संचालन हएत वताओलन्हि । 

पुर्वीक्षेत्रक स्थानियसब तथा जनकपुरधाम लगायतक शहरक व्यपारीसबके मुख्य यातायातके रुपमे रहल नेपाल रेल्वेके लेल निके समय स प्रतिक्षामे वैसल अछि । स्थानिय रामपुकार यादवक अनुसार रेल्वे संचालन सँ जनकपुरधामके आन्तरिक पर्यटनमे महत्वपुर्ण योगदान पहुचत तयालक रेल्वे संचालन जल्द सँ जल्द होवपरबाक आवश्यकता रहल अछि ।


जनकपुरधाम (कुर्था)–जयनगर रेल सञ्चालनक लेल रेल्वे ट्रयाक एकवर्ष आगुवे निर्माण पुरा भचुकल अछि । दु सेट रेल सेहो आएल ठिक १० महिना भचुकल । ०७७ आश्विन २ गते जनकपुरधाम रेल एलापर स्थानीय उत्साहित बनल छल । मुदा रेल कहिया सञ्चालनमे आएत ओइ बातके अखनो कुनो निष्कर्ष नहि अछि ।

No comments:

Post a Comment

Pages