धनुषामे चितुवाके छालासहित तीन गोटे पक्राएल - Maithili Khabar

Maithili Khabar

Maithili News, Maithili Language

Friday, November 8, 2019

धनुषामे चितुवाके छालासहित तीन गोटे पक्राएल


धनौजी गाउँपालिका २ गोरदाहा सँऽ सशस्त्र प्रहरीके टोली शुक्रदिन बेरिया क्षिरेश्वरनाथ नगरपालिकाके महेन्द्रनगर रहनीहार २८ बर्षक सुनिल ढुँगेल, ३९ बर्षक शिबकुमार महतो आ धनौजी गाउँपलिका ४ रहनीहार ३६ बर्षक जयराम मण्डलके हिरासतमे लेने अछि ।

सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल नम्बर ८ गण धनुषा सँऽ खटल टोली  तिनु गोटेके हिरासतमे लेने छल । प्रदेश नम्बर २– ०२– ००१ प ६०२८ नम्बरके मोटरसाइकलमे महेन्द्रनगरसँ भारतदिश जारहल समयमे, तिनु गोटेके हिरासतमे लेने सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक राजेश उप्रेति जानकारी दएलन्हि । प्रक्राएल तिनु गोटेके संगमेसँ १३ हजार ३ सय ५५ रुपैया नगद, सबारी चालक अनुमति पत्र, सुन जेहन धातुके औंठी एक थान आ मोवाइल सहितक समानभि बरामद भेल अछि । तीनु गोटे उपर आवश्यक अनुसन्धान सुरु केने प्रहरी जनओने अछि ।


No comments:

Post a Comment

Pages