बैंक लुटऽ खोज्ने एक युवक पक्राउ - Maithili Khabar

Maithili Khabar

Maithili News, Maithili Language

Saturday, August 10, 2019

बैंक लुटऽ खोज्ने एक युवक पक्राउ


बारा जिल्लाके सदरमुकाम कलैयामे रहल एनसीसी बैंक लुटऽ खोज्ने एक युवक पक्राएल अछि । कलैया उपमहानगरपालिका–१६ के १७ वर्षक रोशन कुसवाहा पक्राएल अछि ।

भारतके चण्डीगढमे इन्जिनियरिङ पैढरहल बेरमे मोडलिङ करऽ अप्पन नाम निक्ललमे ओकर लेल लागऽबला खर्चके लेल बैंकमे पैसा निकालऽ गेल प्रहरीके ओ बयान देने छथि । ओही बैंकमे हुनकर खाता सेहो रहल अछि ।

मुख्य गेटके ताला तोइड कऽ बैंक प्रवेश कऽ विद्युत् आ सीसी क्यामराके लाइन काइट लुटऽ खोज्ने क्रममे बैंकके सुरक्षा गार्ड हुनका पकर्ने छल । सुरक्षा गार्ड साहेबप्रसाद यादव रोशनके पकैर कऽ प्रहरीके खबर कएने छल ।

अभियुक्त रोशनके चोरी उद्योग मुद्दामे बारा जिल्ला अदालतसँ ५ दिनके म्याद थप कऽ अनुसन्धान करिरहल जिल्ला प्रहरी कार्यालयके एक प्रहरी अधिकारी बतौलेन्हि ।

No comments:

Post a Comment

Pages