बाट निर्माणके विरोध करऽबलाके तीन महिना कैद - Maithili Khabar

Maithili Khabar

Maithili News, Maithili Language

Saturday, August 10, 2019

बाट निर्माणके विरोध करऽबलाके तीन महिना कैद


प्रदेश २ सरकार बाट निर्माण, विस्तार या सुधार करबाक क्रममे विरोध करनिहारके तीन महिनाधरि कैद सजायँ करबाक भेल अछि ।

प्रदेश सभासँ पारित प्रादेशिक सडक निर्माण, सम्भार तथा विस्तारके सम्बन्धमे व्यवस्था करऽ बनल विधेयकमे उल्लेख भेल अनुसार सडक निर्माण भरहल क्रममे दोसर जग्गा सेहो सरकार प्रयोग करऽ पाउत । अहि क्रममे हुलहुज्जत, बाधा विरोध करनिहारके तीन महिनाधरि कैद या पाँच हजार रुपैयाँधरि जरिवाना या दुनु सजाय होबऽ सकबाक व्यवस्था कएल गेल अछि । कोनो सार्वजनिक सडकके निर्माण, विस्तार या सुधार भरहल काज पूरा नैभेलधरि आवश्यक निर्माणके सरसामान उपकरण राखऽ एहन निर्माण विस्तार या सुधारसम्बन्धी काजके रेखदेख या नियन्त्रण करनिहार व्यक्तिसभ रहबाक लेल घर या स्टोर रुम बनाब दोसर जग्गा प्रयोग करऽ सकबाक विधेयकमे उल्लेख अछि ।

एहने बाटके निर्माण, विस्तार या सुधार सम्पन्न नभेलधरि ओहन बाटसँ होबऽवला आवागमन चालू राखऽ या निर्माण पूरा नभेलधरि सरसामान या उपकरण ओसार पसार करऽ आवश्यक परऽबला अस्थायी किसिमके छुट्टै मार्ग तथा बाट बनाब या आकस्मिक रुपमे बाट अवरोध भेल अवस्थामे डाइभर्सन बनाबऽ दोसर जग्गा प्रयोग करऽ सकबाक व्यवस्था सेहो विधेयकमे कएलगेल अछि ।

कोनो व्यक्ति अप्पन बासस्थानकेलेल प्रयोग कऽ रख्ने घर, टहरा या भवन, देवस्थल, सार्वजनिक विद्यालय, अस्पताल, धर्मशाला या अनाथालयके निम्ति प्रयोग भरहल जग्गा विशेष परिस्थिति परल बाहेक प्रयोग नैकरबाक विधेयकमे उल्लेख अछि ।

No comments:

Post a Comment

Pages