जनकपुरमे ५५ हजार घुससहित सब इन्जिनियर पक्राउ - Maithili Khabar

Maithili Khabar

Maithili News, Maithili Language

Saturday, August 10, 2019

जनकपुरमे ५५ हजार घुससहित सब इन्जिनियर पक्राउ


धनुषाके नगराइन नगरपालिकामे कार्यरत सबइन्जिनियर उमेश मण्डलके अख्तियारके टोली घुससहित पकर्ने अछि । स्रोतके जानकारी अनुसार धनुषा जिल्लाके नगराईन नगरपालिकाके सव इन्जिनीयर उमेश मण्डलके सेवाग्राहीसँ सम्पन्न भेल योजनाके भुक्तानी करा देब कहैत घुस लेने ५५ हजार रुपैया नगदसहित अख्तियार टोली पकर्ने छल ।

मण्डल सेवाग्राहीके घुसके रकम लऽ जनकपुर अंचल अस्पताल आगा बजौने छल । विशेष सूचनाके आधारमे महोत्तरीके बर्दिबाससँ खटल अख्तियारके टोली मण्डलके घुसके रकम सहित पकर्ने छल । शुक्रके बेरिया करीब सबा ६ बजेके समयमे मण्डलके घुस लेनदेन भेलाकबाद जाइ लागल बेरमे सुराकी खटल अख्तियार टोली मण्डलके रंगेहात पकर्ने छल । आवश्यक कानूनी प्रक्रिया पुरा कऽ सबइन्जिनियर मण्डलके कारबाहीके लेल अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धानके कार्यालय बर्दिबास लजाउल गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

Pages