वीरगन्जमे प्लास्टिकके चाउर बिक्री भरहल ! - Maithili Khabar

Maithili Khabar

Maithili News, Maithili Language

Friday, August 9, 2019

वीरगन्जमे प्लास्टिकके चाउर बिक्री भरहल !


प्लास्टिकके चाउर बिक्रि वितरण कएने आरोपमे वाणिज्य कार्यालय पर्सा वीरगञ्ज महानगरपालिका–११ रानिघाटस्थित राज लक्ष्मी खाद्यान्न भण्डारमे छापामारी कऽ दु बोरा चाउर अप्पन नियन्त्रणमे लेने अछि ।

छिमेकी मुलुक भारतमे निर्मित जीराशक्ति आ रिपुराज कहऽबला चाउरमे प्लास्टिकके चाउर मिललऽ भेल कहैत उपभोक्तासभ देने उजुरीके आधारमे वाणिज्य कार्यालय, जिल्ला प्रशासन आ जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्सासँ खटल संयुक्त टोली ओ खाद्यान्न भण्डारमे छापामारी कऽ अनुसन्धानके लेल दु बोरा चाउर नियन्त्रणमे लेने छल । टोली अनुसन्धान भरहल कहैत गोदाम सिल कएने अछि ।

उपभोक्तासभके स्वास्थ्यउपर खेलबाड करनिहार व्यापारीसभके कार्वाही हेबाक कहैत पर्साके प्रजिअ नारायणप्रसाद भट्टराई गलत करनिहार व्यापारीसभके विरुद्धमे उपभोक्तासभ जागरुक हुोबऽपरबाक बतौलेन्हि । प्लास्टिकके चाउरके प्रयोगसँ क्यान्सर जेहन गम्भीर रोग लागऽ सक्बाक भेलासँ एहन चाउरके प्रयोगसँ दुरे रहऽ चिकित्सकसभ सम्बन्धित सभेके आग्रह कएने अछि ।

No comments:

Post a Comment

Pages